![]() |
Preet Kena Nai Hait Lyrics | Mithila Makhaan |
Preet Kena Nai Hait Lyrics
सीथल केसक कारी धार
चमकि रहल छैन्ह खूब लिलार
पीयर टिकुली साज सिंगार
माटिक कोठी बांसक चार
ठमकि ठमकि क’ देखि लिय’
माछ जकां चानी सन आंखि
फर फर फर फर मोनक पांखि
जं अओती ओ देहर नांघि
अधरतिया फुलबारी फानि
ललकि ललकि क’ देखि लिय’
हरियर तितली ललका फूल
अंगने अंगना सभतरि बूल
संग बसातक झूला झूल
प्रीत हमर अछि यै अनुकूल
Song Name – Preet kena nai hait
Director – Nitin Chandra
Lyrics – Avinash Das
Singer – Bhashwati Chakravaroty
Music: Ashutosh Singh